प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 3 जून 2018

चरिपतिया गाम

#चरिपतिया गाम
♡♡♡♡♡♡
गामक बात लिखलौं जखन
शेष बचय नै पन्ना
गाछी-बिरछी मोन पड़ैए
मारा माछक सन्ना

♡♡♡♡♡♡
सिनेहक बन्हन मजगूत जतऽ
ओतै बसैए गाम
बेन-तिहार आ बाजब-भूकब
चलैए एहने ठाम

♡♡♡♡♡♡
गामे टामे, माएक छातीसँ
निकलय दूधक धार
सौंदर्यहननक डरसँ, शहरमे
डिब्बा बंद आहार

♡♡♡♡♡♡
पोखरि-झाँखरि, बाध-बोन सब
भेटत मिसरी बोल कतऽ
बिषहारा, सलहेसक गहबर
बसैए अपन गाम जतऽ

∆∆∆∆∆∆
भैया भौजी कक्का काकी
बाजी केवल गाममे
शहरमे अछि सम्बोधन एतबे
बाजबै छी ल नामकेँ

∆∆∆∆∆∆
प्रेम भावसँ कटै छै जिनगी
बास करै जँ गाम
तैयो शहरक आमिल पीबय
भेलै विधाता बाम

∆∆∆∆∆∆∆
स्वर्ग कनेक झुझुआन लागैए
गाम लागैए सुन्दर
भाव-प्रेम  आ सिनेहक एतय
अछि अथाह समन्दर

∆∆∆∆∆∆∆∆∆
बिषहारा सल्हेस बसैए
गामे केर सीमनापर
मानरिपर भगतैकेँ सुनब
एतै कोनो मचानपर

∆∆∆∆∆∆
साग-पात तिलकोर भैटैए
गामक सभ मचानपर
एहन सुख भेटत नै कतौ
जाउ कतबो चानपर

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें