प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 3 जून 2018

चरिपतिया माए 2

#चरिपतिया माए 2
माए हमर ममता केर सागर
बहै सिनेहक धार
माएसँ बढ़ि क' कियो ने एत'
जीवन केर आधार

∆∆∆∆∆∆∆
नौ मास धरि कोखिमे राखय
पोषण करय काटि क' पेट
ओहि माएकेँ नमन करै छी
लैए जे आँचरमे समेट

∆∆∆∆∆∆∆∆∆
संतति लेल जे प्राण गमाबय
जीवन भरि त्याग करय
अपन चिन्ता करय ने कहियो
दुनियाँ ओकरे माए कहय

∆∆∆∆∆∆
हरि माए जँ संग ठार हो
निश्चित चूनब माए
इश्वर अपने दौड़ल अओताह
हुनको चाही माए

∆∆∆∆∆∆∆
जखन कोनो हम दुखमे फँसलौं
बनि क' एली नाह
हमर पीठपर माएक हाथ छै
ते नै अछि परवाह

दिन, राति, आठो पहर
मस्ती रहत भरपूर
माएक हाथसँ रान्हल भानस
खाएब जँ हजूर

माएसँ बढ़ि क ने किओ जगतमे, लिखब की तोरा पर लिखल ने जाइ
तोरा बिना ई दुनियाँ छै सुन्ना, धरतीपर तोहर ने उपमा बुझाइ

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें