प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 28 जुलाई 2018

कचरी

5.11 कचरी

छिलल गेलै
काटल गेलै
बेसनमे फेर
सानल गेलै

मंगरैल एलै
नोन सनेलै
संग मिरचाइ
सानल गेलै

चुल्हि पजरलै
तेल कड़कलै
गोल मुठल्ला
बान्हल गेलै

आधा सिझेलै
बाहर एलै
पातर पातर
दाबल गेलै

फेर सिझेलै
ललगर भेलै
तखन तेलसँ
छानल गेलै

जी ललचेलै
मन हर्षेलै
तखन कचरी
पेटमे गेलै

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें