प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अगस्त 2019

बड़का आफति

5.51 बड़का आफति

पापा जी लेल चाट पकौड़ी
हमरा लेल छै दूध आ दालि
टी.वी. देखैत हुनका देखिते
सतमे फाटय हमर मालि

मम्मी सेहो निफिकिर छै
भरि दिन चलबै छै मोबाइल
बड़का भैया भरि दिन घुमै
नीक लागय नै ओकर चालि

सभ रहै छै बड मस्तीमे
बात कहै छी हम भितरका
हमरे स्कूल जाए पड़ै छै
छै इएह त' आफति बड़का

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें