प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अगस्त 2019

मच्छर मार अभियान

5.52 मच्छर मार अभियान

ठीक अधरतिया सभ छल सूतल
भेलै  तखने  शोर
सगरो    घर   अनघोल  भ'   गेलै
ताली बाजल जोर

बहुत   नीक  छल  सपना तखन
छलहुँ चानक पार
सुग्गा  जकाँ  अकासमे  विचरण
छल परीक संसार

ओहि  तालीसँ  नीन  उचटि गेल
जागल मम्मी सेहो
ताली   बजबैत   हकमैत   पापा
कूदै छल बड देहो

मम्मी   पुछलक   अधरतियामे
किए बजाबी ताली
मच्छर मार अभियान चलल छै
बुझलौं यै घरवाली

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें