प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अगस्त 2019

मीत

5.53 मीत

जग भरिमे नै नाता कोनो
सुन्नर अपन मीत सन
जीवनमे छै खूब जरूरत
छंद लय आ गीत सन

कठिन समय आबैए जखन
मोन पड़ैए मीते टा
सभटा दुख मेटाबय मीता
बाँटैए ओ प्रीते टा

नीक-बेजाए सभ बात कही
बस मीतेकेँ कानमे
मीते सरस जीवन बनबैए
बाँकी सभ इंसानमे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें