प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अगस्त 2019

मीट्ठू राम

5.54 मिट्ठू राम

अहींक जातिक बाँकी बहुते
बुधि बिना सभ मुर्ख चपाठ
कोन गुरूसँ शिक्षा ल' क'
अहाँ पढ़ै छी सुन्दर पाठ ?

सीख कत'सँ टाहि मारै छी
राम राम जय सीता राम ?
बाजि दिऔ यौ मिट्ठू राम

नहि पिंजरामे नीक लागैए
अहाँ उड़ै छी नील अकास
मधुर कंठसँ गीत गाबै छी
सिखलौं कत' एहन भास ?

मिरचाइ बहुते नीक लागैए
किए खाइ ने अहाँ आम ?
बाजि दिअ यौ मिट्ठू राम

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें