प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 17 मई 2013

लटकल छौड़ा

बाल कविता-57
लटकल छौड़ा

फेर परीक्षाक परिणाम एलै
किओ पास भेलै किओ फेल भेलै
जे पास भेलै से नाचै छै
जे फेल भेलै से कानै छै
किओ बाँटै छै मधुर मिठाइ
किओ सूतल छै ओढ़ि रजाइ
लेपरुआ नै पास भेलै
जुनि बुझू ओ फेल भेलै
बीच्चेमे छौड़ा लटकल छै
ने नाँचै छै ने सूतल छै
कानै बलाकें नोर पोछै छै
नाँचै बला लेल ढोल पीटै छै
फेरसँ तैयारीमे जूटि गेलै
अगिला बेर सत्ते पास भेलै

अमित मिश्र

4 टिप्‍पणियां: