प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 30 मार्च 2013

सृजन करब कोना?

सृजन करब कोना?

ने उपमा कोनो भेट रहल
रूपक वर्णन करब कोना?
मोनमे स्नेहक विहनि फूटल
एकरा लतमर्दन करब कोना?
घोघक चौकठि बन्न पड़ल
चानक दर्शन करब कोना ?
अहाँ जा बसू अनन्त गगन
मुदा इयादक तर्पण करब कोना?
अहाँ द्वेष करू, हम सहि लेब
हमहूँ द्वेषेक घर्षण करब कोना?
जे लोक अहाँकें बेशरम कहै
ओकर समर्थन करब कोना?
हे प्रिय प्रविन प्रेम प्रतीक बनू
बिनु लक्ष्यक अर्जन करब कोना?
अहाँ भरल मोर कलमक सियाहीमे
बिनु कलमक सृजन करब कोना?

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें