प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 4 जून 2013

सऽख

विहनि कथा-50
सऽख

- यौ मनोहर बाबू ई की जुलुम कऽ देलियै ?"
- हम केहन जुलुम केलियै यौ शारदा बाबू ?
- इएह जे सबटा धन-सम्पति बाल सुधार गृहमे दऽ देलियै ।
- एहिमे जुलुम की भेलै यौ ?
- चारि-चारि टा बेटाक रहने अहाँ सब किछु दान दऽ देलियै ।आखिर ओकर सबक गुजारा कोना हेतै ?
- यौ सरकार, धिया-पुता सब एतेक चंगला भऽ गेलै जे हमर मोजरे नै दैत अछि । बुढ़ारीमे एकटा सऽख लागि गेल नेना बनबाक । आइ हमर किओ नै सुनै छै मुदा नेनपनमे मुँहसँ निकलैत देर नै फरमाइस पूरा भऽ जाइत छल ।नेना बनबाक सऽख सबटा पाइ दान करबा देलक ।

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें