प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 17 मई 2014

ट्युसन आ पढ़ाइ

125. ट्युसन आ पढ़ाइ
हौ बाबू कतबो काज करा लए
ओइ ट्युसनमे नाम लिखा दए
सगरो होइ छै ओकरे चर्चा
ठामे ठाम बाँटै छै पर्चा
सब दऽ देलकै बढ़ियाँ दर्जा
अजमाबैमे छै कोन हर्जा
पहिने चलऽ खेत तमबा लए
ओइ ट्युसनमे नाम लिखा दए

ओहि ठाम छै कुर्सी-टेबुल
पंखा, कूलर, टीभी, केबुल
सदिखन बिजली चलैत रहै छै
कमप्युटरपर सबक बनै छै
अपन मोनक बात गछा लए
ओहि ट्युसनमे नाम लिखा दए

छपल नोट भेटै छै ओइ ठाँ
लिखैक झंझट नै ओइ ठाँ
कम्मो ज्ञान, चमक छै बेसी
जेबै, पढ़बै, खेबै ए॰सी॰
हमरो फैशनेबुल छात्र बना दए
ओइ ट्युसनमे नाम लिखा दए

हम छी बौआ पुरना लोक
अराम, मने छै पढ़ाइक दोख
गर्मी, ठंढा आ बरखा जते
सहबें कष्ट बुधि बढ़तौ ओते
भुँइयेंमे पढ़ि ज्ञान बढ़ा लए
फैशन तजि कऽ नाम कटा लए

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें