प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 31 मई 2014

घाव काँचे अछि

2.25
हमर सारापर अहाँ आयल जुनि करु
घाव काँचे अछि बहुत घायल जुनि करु

एक चर्चामे कऽ लिअ निर्णय सदिखन
आबि पुनि दुख-नेह सन लायल जुनि करु

मीत बाजै छी अहाँ बहुते मिठगर
बन्द कण्ठसँ सूनमे गायल जुनि करु

बढ़ल धारा नै घुरै छै पुनि पाछू
प्रीत-सरिताकेँ तँ चेतायल जुनि करु
सदति दू नाहक सबारी दै खतरा
तेँ हँ, नैमे मोन भरमायल जुनि करु

गरम भेने टूटि जाइछ लोहा धरि
गप समाजक अछि तँ गरमायल जुनि करु

2122-2122-222
अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें