प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 10 जून 2014

गर्मी एलै

126. गर्मी एलै

गर्मी एलै आब गर्मी एलै
इस्कूलमे फेर छुट्टी भेलै
चुनियाँ-मुनियाँ-टुनियाँ खेलै
भरि दिन पोखरिमे हेलै

गर्मी एलै आब गर्मी एलै
जामुन, आम पाकिये गेलै
मिठगर-मिठगर गाछी भेलै
कौआ लोल मारिये गेलै

गर्मी एलै आब गर्मी एलै
कुल्फी, कोला खूब बिकेलै
ए॰सी॰, कूलर खूब ठण्ढेलै
छात्ता, टोपी माँथ सजेलै

एहि छुट्टीमे की सब करब ?
खेलब बेसी आकि पढ़ब !
खेलब-पढ़ब, पढ़ब-खेलब
बादोमे हम खेलब-पढ़ब
पहिने नानीगामे घूमब

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें