प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 11 जून 2014

रेप

184. रेप

माएकेँ घरमे प्रवेश करिते 5 सालक बेटी प्रश्न पूछि देलकै "माँ, ई रेप ककरा कहल जाइ छै !" दुनू हाथमे घरक समानसँ भरल झोड़ा उठेने, घामे-पसीने भेल माएक मोन खौँझ गेलै ।"ई सब के कहलकौ ?" माए परेशान भऽ गेल छली ।
"आइ टी॰भी॰पर कहै छलै जे चारि गोट पुरूख एकटा 14 वर्षक छात्रा संग चारि दिन धरि रेप केलक ।" बेटी मासूमियतसँ जबाब देलक ।
" तोरा कहै छीयौ ने, अल-बल चीज नै देखल कर ।"
"मुदा तूँहीँ तँ कहै छहीं जे न्यूज नीक चीज छै ।"
"हँ नीक तँ छैहे ।तैयो . . ."
"तखन अल-बल कोना भेलै ?एक टा बात बता सदिखन महिलाकेँ रेप किए कएल जाइ छै, पुरूखक किए नै ?"
"किए की . . .किए की . . ."माएकेँ जबाब देब भारी बुझेलनि ।ओ केवल बलाकेँ कनेक्सन काटबाक लेल फोन करऽ लागली ।

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें