प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 10 दिसंबर 2014

ककर लै छै नाॅउ

बाल कविता-141
ककर लै छै नाॅउ

अपन घरक चारपर
राखल पुरना कारपर
बाजय कौआ काॅव काॅव
बाजू ककर लै छै नाॅउ

उलटल-पुलटल लारपर
वा बैसल इनारपर
बाजय कुकुर झाॅउ-झाॅउ
बाजू ककर लै छै नाॅउ

बैसल बिलरी तारपर
टक लगौने माॅरपर
खूब करै छै म्याॅउ-म्याॅउ
सब लै छै हमर नाॅउ
अपन सुन्दर मीतक नाॅउ

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें