प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 24 दिसंबर 2017

मैथिली बाल कविता- बस दिअ एके रत्ती

272
बस दिअ एके रत्ती

हे यै फूल, कने दिअ सुगंधी
जाहिसँ गमकै हमर गुण
जकरा बलपर नुका क' राखी
अपन सटा हम अवगुण

हे यै धरती, अहूँ दिअ किछु
नै बेसी त' एको रत्ती
जकरा बलपर सबटा आफत
सहि सकी से सहनशक्ति

हे अकास, अपने सन दिअ
जिनगीमे हमरो ऊँचाइ
हिया विशाल अहीं सन बनै
छुबि सकै नै कोनो बुराइ

हे पहाड़, बड़ गुणिगर अहाँ
दिअ अपने सन विश्वास
अड़ल रही सबटा संकटमे
हिला सकै नै हमर आश

हे पानि, गुण दिअ मिलै केर
सभसँ मिल क' रही हम
जकरा बलपर साफ चरित्रक
बनि क' रही जनम जनम

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें