प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

गुरुवार, 11 दिसंबर 2014

बाल कविता- गणित


बाल कविता-142
  गणित

दू गोटीकेँ संग मिलाउ
मिला मिला कऽ जोड़ बनाउ
दू टासँ एगोकेँ हटाउ
हटा हटा कऽ करू घटाउ

बेर बेर एकहिँकेँ जोड़ू
जोड़ि जोड़ि कऽ गुणा बनाबू
बेर बेर एकहिँकेँ घटबू
घटा घटा कऽ भाग बनाबू

एहिना बौआ डेग बढ़बू
गणित संग सम्बन्ध बनाबू

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें