प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 24 दिसंबर 2014

बाल कविता- धरतीक सिसकी



बाल कविता-145
धरतीक सिसकी


की, अहाँ सुनलियै कहियो गाछक चित्कार ?
जखन कुल्हरिसँ ठाँढ़िपर करै छी प्रहार
तखन पातक कँपकँपीपर करै छी विचार ?

की कखनो गंगा-यमुनाकेँ सुनलियै कानैत ?
वा निसबद रातिमे माँछकेँ छचपटाइत
नदीक दर्द बुझलियै अहाँ कचरा फेकैत ?

की, देखलियै कखनो हवाकेँ दम फूलैत
चिमनीक नीच्चाँ कौआ- मैनाकेँ खसैत ?
पर्यावरण लेल किछु केलियै कर्तव्य बूझैत ?

कोनो साँझ धरतीसँ अहाँ बतियैयौ
संतान लेल माएक व्याकुलता गमियौ
तखन हमर प्रश्नक उत्तर लिखियौ

जँ नै सूनि सकब धरतीक सिसकीकेँ
तँ अधिकार नै अछि मनुखक पदवीकेँ 



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें