प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 14 जून 2015

वर्णमाला : ऐ

बाल कविता-178
वर्णमाला : ऐ


'ऐ'सँ ऐना मुँह देखाबय
बड नीक लागय, बड नीक लागय
देखा देखा कऽ मन हर्षाबय
बड नीक लागय, बड नीक लागय

बड़का ऐना, छोटका ऐना
पतरका ऐना, मोटका ऐना
दुनियाँ भरिक फोटो बनाबय
बड नीक लागय, बड नीक लागय

खिड़की लग चमकाबू ऐना
बाहर दिस कने घुमाबू ऐना
घरेमे बाहरक चीज देखाबय
बड नीक लागय, बड नीक लागय

रौदमे कने चमकाबू ऐना
दुरूखा दिस घुमाबू ऐना
ओतौ सुरूजक रौद पहुँचाबय
बड नीक लागय, बड नीक लागय


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें