प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

गुरुवार, 23 जुलाई 2015

वर्णमाला : ट

बाल कविता-199
वर्णमाला : ट



"ट"सँ टमाटर लाले लाल
तरकारीमे करय कमाल

आलू कोबी सीम मटर
करै छल बैगन अटर-पटर

आलू बाजल, हमर सन्ना
खा कऽ लोक बढ़य दुगुन्ना

बैगन बाजल हमर तरूआ
मीठ सोन्ह आ करकरूआ

कोबी बाजल खा कऽ भुजिया
खुशहाल भऽ जाइ छै दुखिया

सबमे फसलै बड़का झगड़ा
गारा-गारी रगड़म-रगड़ा

एलै टमाटर दौड़ल तखने
गप सुनू आइ बिना झगड़ने
सभक संगे हम मिलै छी
सभक स्वाद दुगुना करै छी
सबसँ पैघ हम छी भाइ
देखियौ खा कऽ चटनी आइ


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें