प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अक्तूबर 2015

माइ तोहर मंदीर आइ धोयब हम

एलवम- मैया जागू ने

हे शेरावाली,,,,,आइ पूजा करब कानी कानी
माइ तोहर मंदीर आइ धोयब हम, नूरमे नोर सानी सानी

धरती पर हम बोझ बनल छी,  जनम अकारथ मानी
युग युगसँ हम पाप बटोरल, लोभी कामी अज्ञानी
सब ताना मारै ये, सब पागल कहै ये
नहि बाट देखाबय, सब हमरा ठकै ये
सुनू महरानी,,,,, हम नाम तोरे टा जानी
माइ तोहर,,,   ,,,,,,,,,

अन्त समय एक माँग करै छी, बस दर्शन टा माँगी
सबटा बाट माँ बन्द लागै ये, बस सुमिरन टा बाँकी
एक विनती करै छी, माता अहाँसँ कहै छी
निज नोरसँ माता, तोर चरण धोबै छी
हरू कल्याणी,,,,,विपदा अपन पूत मानी
माइ तोहर,,,,       ,,,,,,,

Trz- ran teri ganga maili

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें