प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 11 मई 2016

लप्रेक - रिजल्ट

लप्रेक- 17
रिजल्ट

-बसुन्धरा एगो बात कहियौ ?
- एगो किए !तूँ दस टा बाज ।
- बात ई छै जे समटाइम आइ विकम सरप्राइज देट तोरा लेट नाइट पार्टी करैमे फीयर-बियर नै लागै छौ ?
- ले बलैया, ऐमे डरैक कोन बात छै !
- बिकॉज नाउ ए डेज इन बिग सीटी..की कहै छै एसगर लड़कीकें घुमनाइ बड डेंजरस छै ने ।
-धत्त तेरी के...हम बुझलियै कोनो पैघ बात छलै ।ई त' 100% बोरिंग प्रश्न छौ ।
-ओह...आइ एम वेरी सिरियस यार ।सब ठाम मना कएल जाइ छै तखन फेर...
- अरे जखन तूँ संग छहीं तखन फेर डर कथीक ।तोरा रहैत किओ छूबि क' त' देखौ ।जस्ट चिल यार...हाथमे हाथ पकड़ आ चल लॉग ड्राइवपर ।

#अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें