प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

गुरुवार, 5 मई 2016

सावधानी

बाल कविता_239
सावधानी
**********
पेप्सी-कोला ठंढा-तंढा
पीब करू नै आँत खराब
चोकलेट-बिस्कुट आइसक्रीम
खा करू नै दाँत खराब
चाट-समौसा लिट्टी-तिट्टी
खाइते हेतै पेट खराब
रौद-तौदमे खेलू नै ने
नै त' हएत मोन खराब
गेम-तेम आ टीभी-तीभी
क' दै छै आँखि खराब
बेसी देर अराम करू नै
नै त' आदत हएत खराब
काज-धाजमे व्यस्त रहब त'
कहियो देह नै हएत खराब

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें