प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 7 जून 2016

चिन्ता जुनि करिह'

बौआ तोँ चिन्ता जुनि करिह'
तूँ हारल नै छह
बस लक्ष्य कनेक दूर भ' गेल छह
कनेक बाहर निकल'
आनक जजातिकेँ देखहक
दोसरक त' जड़िये उखड़ि गेल छै
कमसँ कम तोहर त' सब सलामत छह
मात्र एगो ठाढ़ि टुटलासँ गाछ नै सुखाइ छै
तोँ लाज नै करिह'
तूँ नोर नै बहबिह'
तूँ हारल थोड़बे छह
मोन रखिह' हमर ई बात
जे दौड़ै छै सएह ने खसै छै
जे लड़ै छै सएह ने हारै छै
तूँ मिसियो नै घबड़ैह'
तोहर गुण दोसर थोड़बे बुझै छै
केकरो एते बुत्ता नै छै
जे तोहर प्रतिभाके छीन लेतह
तूँ जीतल छलह
जीतले रहब'
प्रगतिक पथपर
छोटमोट रोड़ा आबिते रहै छै
तूँ बिना ककरो परवाहि केने
बढ़ैत चल'
नहूँ नहूँ ससरैत चल'
कुचक्र करै बलाक मुँहपर
लक्ष्य प्राप्तिक चमेटा दैत
क्षमताकेँ देखार कर'
‪#‎मैट्रिक_रिजल्ट_2016‬

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें