प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 23 दिसंबर 2017

मैथिली बाल कविता-दुद्धू मँगबय

बाल कविता- 170
दुद्धू मँगब

जहिना भोरे मुर्गा बाजय
बाजि बाजि सबकेँ जगबय
जहिना साँझे नढ़िया बाजय
बाजि बाजि सूरज डूबबय
जहिना कौआ-मैना बाजय
बाजि बाजि हल्ला मचबय
तहिना बौआ भोरे कानय
कानि कानि सबकेँ जगबय
तहिना बौआ मुस्की साजय
मुसकि मुसकि सबकेँ हँसबय
अधरतियेमे बौआ कानय
कानि कानि दुद्धू मँगबय

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें