प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 3 अगस्त 2018

पपलू कानै छै

5.17 पपलू कानै छै

पपलू जीकेँ दस टा टाका
सेहो हेरेलै भेलै घाटा
मम्मीकेँ फेर तामस भेलै
दू टा थप्पर पड़िये गेलै
ऊँ ऊँ पपलू कानै छै
अपन गलती मानै छै

पपलू ओरहा खाइ छै
संगमे नोन मिरचाइ छै
करू खूब छलै मिरचाइ
आँखि नोर सू सू सुसुआइ
ऊँ ऊँ पपलू कानै छै
खाएब ने करू मानै छै

सुन्नर मेला गेलै लागि
पपलू गेल स्कूलसँ भागि
तामसे मैडय धेलनि कान
कहलनि- भेलें तूँ शैतान
ऊँ ऊँ पपलू कानै छै
अपन गलती मानै छै

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें