प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 15 मार्च 2013

आबि गेलै फेर गर्मी भैया

बाल कविता-16
आबि गेलै फेर गर्मी भैया

भागि गेलै कतऽ सर्दी भैया
आबि गेलै फेर गर्मी भैया

ऊनी कपड़ा सब छूटि गेलै
कारी बोरसी सब फूटि गेलै
हल्लुक देह भेल हमरी भैया
आबि गेलै फेर गर्मी भैया

बड लू चलै, धरती धधकै
आइसक्रीम लेल मोन तरसै
करै सूरज नै नरमी भैया
आबि गेलै फेर गर्मी भैया

पाकत जामुन आ मीठगर आम
गर्मी छुट्टीमे हम जेबै गाम
भेल घमौरी, लगा डर्मी भैया
आबि गेलै फेर गर्मी भैया

करिया मेघ आब आबिते हेतै
झमझम-झमझम पानि बरसेतै
हारि जेतै तखन बेदर्दी भैया
आबि गेलै फेर गर्मी भैया

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें