प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 26 दिसंबर 2015

प्रेम

लप्रेक -6

यौ कतऽ दन प्रेमक सब मोटरी हेरा गेल अछि ।
-से की ?
-हँ यौ, जहियासँ पता चलल जे जमुनिया छोट जातिक अछि तहियासँ तऽ बूझू हमर प्रेमक गाछमे गरम पानि देल जा रहल अछि ।
-की भेल से यौ ?
-यौ बाप हमर मानिये नै रहल छै ।दस दिनसँ अन्न-पानि छोड़ि कऽ अनसन कऽ रहल छथि ।
-की भेलै !गार्जियन ओनाहिते तमसाइ छै ।अहाँ अपन प्रेमपर ध्यान दियौ ।जमुनियासँ वियाह करू ।
-भाइ, प्रेमक मोल तऽ रखैये पड़त मुदा, वियाह नै भऽ सकत ।
-से किए ?
-भाइ, आखिर माए-बापक प्रेम तऽ छोड़ल नै ने जा सकै छै ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें