किछु ओहिना #मैथिली_लप्रेक जकाँ
-यौ हमरासँ प्रैक्टिकल नै उसरैए ?कने हमरो ब्यरेट साफ कऽ दिअ ने ।
-आ हमर NaCl के बनेतै ?
-प्लीज, हमरा-अहाँमे कोनो बेसी अंतर नै ने छै ।
-मने की अछि अहाँक ?
-मने...मने एक्कै टेबुलपर तऽ प्रैक्टिकल कऽ रहल छी दुनू ने ।
-जाऊ, जाऊ हमरा पलखति नै अछि ।
-ठीक छै, अहाँ हमर मोनक भावना नै ने बुझि रहल छी ।अहाँसँ तऽ जिनगीक प्रेक्टिकल नै भऽ सकल ।
-की मने, अहाँ बेसी जानै छी की ?
-ठीक छै, एकरा फैसला तऽ जरूर भऽ जेतै ।
कने काल बाद ओ लड़की पाइपसँ एसिड खीचैत काल जोरसँ खिचलक आ एसिड ओकर मुँह धरि पहुँचि गेलै ।छौड़ा देखिते रहि गेल ।की ओ प्रैक्टिकलमे सफल मानल जाए ???
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें