प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 3 मई 2013

मायावी देश

बाल कविता-38
मायावी देश


बाप रे बाप केहन छै विचित्र भेष
जानि नै कोना गेलौं मायावी देश
घास बड पैघ आ आमक गाछ छोट
पाकरि-पीपर दुब्बर, बाँस बड मोट
माँछ उड़ै लाल आकाशमे छत्ता तानि
घर कौआ-मैनाक छै गहिंरगर पानि
गाय-मंहिस बाजै झाँउ-झाँउ-झाँउ
शेर-बाघ गाबै म्याँउ-म्याँउ-म्याँउ
खाइ कुकुर-नढ़िया हरियर घास-पात
हिरण-खरहा चूसै छै मांसल गात
किओ अदृश्य भऽ गाबै गीत-नाद
नभसँ थपरी बाजै गीतक बाद
मनुखक देहपर छल पाँखिक झाँग
तितली-माँछी दौड़ै लऽ जोड़ा टाँग
बिनु बरदक दौड़ल जाए बरदगाड़ी
लागल मारि देत ढाही कोनो पारी
मोन चेहा उठलै आ घैल फूटल
भोर होइते विचित्र सपना टूटल

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें