प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

गुरुवार, 9 मई 2013

कहू किए एकरा छोड़ब यौ ?

बाल कविता-48
कहू किए एकरा छोड़ब यौ ?

नारियर फड़ल ऊँच गाछपर
कहू कोना कऽ एकरा तोड़ब यौ?
लताम लटकल थोड़बे उपर
कहू किए एकरा छोड़ब यौ?
काँच आम तँ पाकत पहिने
बादमे मथब घोरब यौ
भरल बोतल जँ माजा भेटतै
कहू किए एकरा छोड़ब यौ?
छीना-झपटी हम नै करब
ककरो कपार नै फोड़ब यौ
प्रथम केने जँ इनाम भेटतै
तँ मेहनत किए छोड़ब यौ?
मुँहजवानी बड भरिगर लागै
आङगुरपर किए ने जोड़ब यौ?
तिकड़म केने जँ काज बनि जाए
तँ कहू किए एकरा छोड़ब यौ?

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें