प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 19 जून 2013

नाम लिखा दिअ

बाल कविता-70
नाम लिखा दिअ

आब नै हम चराएब बकरी
नाम लिखा दिअ इस्कूलमे
कोपी पोथी आनू पिनसिल
मीत बनबा दिअ इस्कूलमे
खूब पढ़ब हम नाम करब
कनियो नै बिश्राम करब
पढ़ि पढ़ि खूब ज्ञान भरब
अन्तरिक्ष केर यान धरब
बकरी चरा की भेटत हमरा
बेच कऽ हेतै बाँटे - बखरा
जँ पढ़ब तँ पाइ कमाएब
गाड़ी कीनब घर बनाएब
मंगरू पढ़ि कऽ अफसर भेलै
झगरू पढ़ि कऽ विदेश गेलै
मटरू पढ़ि कऽ केलक बिजनेस
हम पढ़ि कऽ रहब निज देश
हमरे नामे अहूँकेँ चिन्हत
सब किओ मीठका बोल बाजत
तेँ बाट देखा दिअ इस्कूलकेँ
नाम लिखा दिअ इस्कूलमे

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें