प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 8 जून 2013

माँटि-पानिसँ जुड़ल

विहनि कथा-67
माँटि-पानिसँ जुड़ल

एकटा मैथिली फिल्मक शुटिंग छल ।मुख्य अभिनेताक किरदार लेल प्रवासी मैथिल कलाकारकेँ बजाओल गेल जे आन भाषाक फिल्ममे नाम कमेने छल ।आन चरित्र लेल अनचिन्हार प्रवासी चेहरा आएल छल ।शुटिंग प्रारम्भ भेल ।रिफलेक्टर लागल, लाइट देल गेल, साउण्ड बला तैयार छल ।एक्शन कहैत देर अभिनय शुरू भेल, मुदा. . .शाट गलत एलै ।मुख्य अभिनेता बड प्रयास केलक मुदा सब बेर गलते भेलै ।अन्तमे अनचिन्हार प्रवासी आर्टिस्ट एक्के बेरमे शुट कऽ लेलक ।मुख्य अभिनेता एहि मादे पुछलकै तँ ओ आर्टिस्ट जबाब देलकै "नै बुझलियै, अहाँ मैथिल रहितो आन भाषाक प्रसंसक छी मुदा हम प्रवासमे रहितो अपन माँटि-पानिसँ जुड़ल छी "

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें