प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 18 अगस्त 2013

पोथीक एहि पन्नामे

बाल कविता-99
पोथीक एहि पन्नामे

ज्ञानक कते बात छपल पोथीक एहि पन्नामे
फोटो गाय महिसक बनल पोथीक एहि पन्नामे
एहि पोथीमे अगबे आखर अ, आ, ए, बी, सी, डी
कविता, कथा, हास्यक चटनी, बहुते गीत पैरोडी
कबीर, रहिम आ तुलसी केर दोहा सुन्नर गुणगर
एकरे पढ़ि बनै इन्जिनियर एकरे पढ़ि डाक्टर
एहि पोथीमे देख बिलाइकेँ भागल घरसँ मूसा
कौआकेँ देख गीत गाबै छै एसगर बचल चूजा
फोटो देख राम-कृष्ण केर नमन करै छथि कक्का
नाम खुदा केर छपल देखिते सलाम करै छथि मुल्ला
पोथी केर संग खूब सुखितगर मुर्ख बनैछ पण्डित
जे पढ़ै से बचि जाए जे नै पढ़ै होइ दण्डित

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें