प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

गुरुवार, 1 अगस्त 2013

पावन एलै नवरात हे

भगवती गीत

पावन एलै नवरात हे , अम्बे घर एथिन
सब मिल करु गीत नाद हे ,अम्बे घर एथिन

गायक गोबर लऽ आँगन नीपब
कलश बैसा जननीकेँ आनब
गाँथल लाल अरहूल हे ,माँकेँ माला पहिरायब
पावन एलै . . . . . . .

सप्तशती केर पाठ सुनेबेन
सब दिन कुमारीकेँ भोजन करेबेन
फल फूल राखल पात हे ,माँकेँ भोग लगेबेन
पावन एलै . . . . . . .

कंचन थारीमे दीप सजाबू
लयबद्ध अमित आरती उतारु
करु करु सब प्रणाम हे ,माँकेँ पएर पकड़ि
पावन एलै नवरात . . . . . .

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें