प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

गुरुवार, 1 अगस्त 2013

हिमगिरिक माँथ झुकेबै

बाल कविता-93
हिमगिरिक माँथ झुकेबै

मेहनतसँ नै पिण्ड छोड़ेबै
समय व्यर्थ बितेबै नै
पल पल प्रतिपल गतिशील भऽ
लक्ष्यसँ नजरि हँटेबै नै

कतबो गरजै खसै बिजलौका
काँपै धरती उनटै नौका
जंगल-झाड़ आ काँट-कूश हो
रुकबै तँ नै भेटतै मौका

नित दिन भोर नव जनम लऽ
सिनेहक आयत पढ़बै हम
हमरा अछि विश्वास एते
हिमगिरिक माँथ झुकेबै हम

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें