प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 4 अक्तूबर 2013

माँकेँ सब मिल करू जयकार

भजन

माँ के सब मिल करू जयकार
ढोल मृदंग लऽ झालि झंकार
झूमि झूमि नाचू लागल दरबार

अम्बे चरण जल कंठ भीजाबू
कलश बैसा जननीकेँ मनाबू
नौ दिन पूजन बंदन करियौ
भव सागर क्षण हएत पार
माँ के सब मिल करू जयकार

धन्य धान्य सँ पूर्ण जीवन दुर्गा नामक साँझ भोर तीमन
बुढ़ पुरान नेना आ जुआन
कर जोड़ि ठाढ़ सकल परिवार
माँके सब मिल करू जयकार

चुनरी फूल लऽ माँ के सजाबू
हलुआ आ पूरीक भोग लगाबू
कपूर गुगुल लऽ आरती गाबियौ
माथ झूका करू माएक जय जयकार

@अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें