प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 8 अक्तूबर 2013

दैया गे दैया नै किओ छै खेबैया

दैया गै दैया नै किओ छै खेबैया
हम तँ भासल जाइ छी ,
बीचमे डूबल जाइ छी
करियै , की करियै कठोर भेलनि मैया
दैया गै दैया . . . . . . . .

कारी अन्हार राति हमरा डेराबए
मैया बिनु बेटा तँ टूअर कहा बए
करियै की करियै कठोर भेलनि मैया
दैया गै दैया . . . . . . . . . .

कलयुगी भीड़मे डूबि रहल छी
बिपतिक बोझहा तर दबि रहल छी
जिनगी ,आब लागै यै अपन बलैया
दैया गै दैया . . . . . ।

जागू हे जननी जगाबै यै दुनियाँ
आशक महल जुनि तोड़ियौ हे दुर्गा
हमरा उठाबू अपन कोर मैया
दैया गै दैया

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें