प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

गुरुवार, 11 जून 2015

देवी जी पढ़बै छथि

बाल कविता-174
देवी जी पढ़बै छथि


गलती-सलती ठीक करै छथि
सही बात बतबै छथि
भरि इस्कूलमे सबसँ सुन्नर
देवी जी पढ़बै छथि

अ आ इ ई खूब पढ़ेलनि
गुणा भाग सिखबै छथि
फोटो-तोटो खूब बनबेलनि
आइ-काल्हि गीत गबबै छथि
समाज-विज्ञान तऽ यादे भऽ गेल
सुन्नर कथा कहै छथि
भरि इस्कूलमे सबसँ सुन्नर
देवी जी पढ़बै छथि

जाँचि-जाँचि कऽ सबटा कोपी
घर लेल सबक ओ दै छथि
व्यायाम, प्रार्थना खेल-कूदमे
आगू-आगू रहै छथि
सभक संगे खूब हँसै छथि
कहियो नै डेरबै छथि
भरि इस्कूलमे सबसँ सुन्नर
देवी जी पढ़बै छथि


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें