प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 20 दिसंबर 2015

बीच वैतरणीमे

200
बीच वैतरणीमे

रातकि बारह बाजि रहल छल ।दूरसँ आबि रहल कुकूरक करूण स्वर स्थितिक गंभीरता बता रहल छल ।मात्र एकटा घर छोड़ि कऽ गामक प्रायः सबटा घर अन्हार छल ।ओहि दुमंजिला घरक एकटा कोठरीमे अंतिम यात्राक प्रतिक्षामे पिता अथबल भेल पड़ल छलथि आ हुनका तीनू बेटा घेरने छलनि ।बड़का बेटा बाबूक बायाँ हाथक औंठा धेलनि आ माँझिल बेटाक हाथमे राखल इंक पैडसँ सटा देलनि ।छोट बेटा झट दऽ कोर्टक कागज पसारलनि आ चारि-पाँच ठाम पिताक औंठाक निशान लऽ लेलनि ।तीनू बेटाक मुस्की हुनक आन्तरिक प्रसन्नता झलका रहल छलनि ।एहि निशानक बाद मंदिरमे दान कएल पिताक जमीनपर तीनू भाइक पूर्ण अधिकार भऽ गेल छल ।इम्हर लकवाग्रस्त पिताक हिया दरकि रहल छल ।दान कएल बस्तुक स्वयं उपभोग होयबाक कारणे वा अपन अपंगताक कारणे आँखि नोरा गेल छलनि ।अंत समयमे निर्णय नै लऽ पाबि रहल छलथि जे बेटा सब मुइलाक बाद वैतरणी पार कराएत आकि जीविते वैतरणीमे डुबा देलक ?

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें