प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 26 दिसंबर 2017

मैथिली बाल कविता- बौआ मुँहमे घुटूस

अझुका रचना- बाल कविता
275.
बौआ मुँहमे घुटूस

हाथी घोड़ा बानर मूस
बौआ मुँहमे दूध घुटूस

सुग्गा मैना कौआ कात
बौआ मुँहमे दूध आ भात

धान गहुँम मकैयक बालि
बौआ मुँहमे राहरि दालि

आम लताम बैर खजूर
बौआ मुँहमे चानाचूर

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें