प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 27 दिसंबर 2017

दाढ़ी बला अंकल जी

अझुका रचना-बाल कविता
276.दाढ़ी बला अंकल जी

कोनो शहरसँ एलखिन गाम
दाढ़ी बला अंकल जी

हुनकर स्वागतमे मम्मी जी
हमर दूध बिसरि गेलै
सुन्दर सुन्दर भोजन बनलै
पावनि जेना कोनो एलै
मुसकि मुसकि क खेलनि खूब
दाढ़ी बला अंकल जी

कोन सिनेमा सुपरहिट छै
शेयर कते हजार भेलै
देश-विदेशक गप सड़क्का
केकर कत' सरकार भेलै
बाबू संग बतियेलनि खूब
दाढ़ी बला अंकल जी

दुइये दिनमे सूट चढ़ा क'
कहलनि आब नेपाल जेबै
हमर हाथ देलनि पनसैया
कहलनि अगिला साल एबै
हमरा संग खेलेलनि खूब
दाढ़ी बला अंकल जी

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें