प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 21 मई 2013

आस्था

विहनि कथा-23
आस्था

- यौ डाक्टर बाबू ।एकटा बात बुझलियै ।
- की?
-इएह विआहक 20 साल बाद सोनी दाइकें बौआ भेलै हें ।
-हे मजाख जुनि करू ।जकरापर मेडिकल विज्ञान लाल कलम चला देलकै ।ओकरा बच्चा कोना भऽ सकैछ ?
-भऽ सकै नै, भऽ गेलै ।सोनी दाइ एहन पुजेगरी देखलियै अहाँ कतौ ?
- नै ।
- तखन ।एकटा बात तँ मानिये लियौ जे डाक्टर आ मेडिकलसँ बढ़ि कऽ छै भगवानक विधान ।
- हँ यै ।ठीके कहै छी ।आब तँ हमरो विज्ञानसँ बेसी भगवानपर आस्था भऽ गेल ।

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें