प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 4 जून 2013

बी॰पी॰एल॰

विहनि कथा-41
बी॰पी॰एल॰

चुनावक निकट एलापर गामक दौरापर मंत्री जी आएल छलाह।गामकेँ अस्त-व्यस्त देख पुछलनि "अहाँ सभक घर टूटल-फूटल आ एते अन्हार किए रहैत अछि? "
एकटा ग्रामिण बाजल " सरकार पाइ रहत तखन ने मरम्मत करब आ बिजली लगाएब ।"
ई सुन मंत्री जी पुछलनि " बिजली आ घर तँ अहाँकें सरकारे दैत अछि ।बी॰पी॰एल॰मे आबैत छी अहाँ सभ ।"
ग्रामिण कने तमसाइत बाजल"सरकार ई सब हमरा सबकेँ नै भेटैत अछि ।बी॰पी॰एल॰ मने होइ छै बड़का परिवार लेल ।हम सब छोट छी किने ।हमर अधिकार जे दियेतै तकरे भोट देबै ।"
मंत्री जीकेँ लागऽ लागलै जे एहि ठाम भोट नै भेटत कारण एकरा अधिकार दियेनाइ कठिन छै ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें