प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 26 जून 2013

गुण-अवगुण

बाल कविता-78
गुण-अवगुण

कबकब लागै सन्ना ओल
मिरचाइ खाइसँ करुगर बोल
करैला तीत रमतोरइ लसफस
घिउरा लागै हमरा निरस
परोर सदिखन कचकच करै
आलू माँटिये तऽरमे फरै
सजमनि सौंसे खेतमे पसरै
कदिमा तँ छप्परपर चतरै
मुइनगामे नै गुद्दा रहै
बैगनमे तँ बीये भरै
हरियर तैयो खेबाक चाही
स्वस्थ शरीर सहै छै दाही
सबमे रहै छै गुण-अवगुन
सब ठाँ नीक-बेजाए धुन
हम सब लऽ ली सबटा गुण
छोड़ि दी ओहिना सब अवगुण
तखने बनबै हम नीक मनुख
बनबै देशक महापुरुख

अमित मिश्र

3 टिप्‍पणियां: