प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 12 जून 2013

बिजनेस

93. बिजनेस

-बड आशा लऽ कऽ आएल छी अहाँ लऽग सम्पादक जी ।
-आशा लऽ कऽ आबू वा नै आबू ।हमरासँ अहाँक काज नै हएत ।
-एना जुनि बाजू सर ।ई तँ अहाँक धर्म अछि ।एकटा लड़कीक बलत्कार कएल गेलै आ अहाँ ओकर रिपोर्ट छापैसँ मना कऽ रहल छी ।मीडियाक ई काज नै छै ।
- हमर क्षेत्रक कोन काज अछि आ कोन नै, से हमरा नै सिखाउ ।बलत्कारी राजा भैया छथि ।हुनकर बिरोधमे छापि कऽ हमरा नोकसान नै करबेबाक अछि ।
- एहिमे नोकसानक कोन काज छै ?अहाँकेँ खबर चाही, हम दऽ रहल छी ।लिअ ।
- यौ ।हम खैरातक दोकान नै खोलने छी ।राजा भैया मारिते विज्ञापन दै छथि ।टाका दै छथि ।हुनकर बिरोधमे किए छापब ?अहाँकेँ बुझबाक चाही जे अखबारो एकटा बिजनेसे अछि ।
-हँ ।हमहीं बिसरि गेल छलौं ।बिजनेसमे लोक घटा तँ नहिये सहत ।हुअऽ दियौ आरो बलत्कार ।

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें