प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

सोमवार, 10 जून 2013

दंगा

82. दंगा

- मालीक ।अझुका बोनि दऽ दिअ ।
- कते हिसाब भेलौ ?
- दस टा गाड़ी फूकलौं, आठ टा कपाड़ फोड़लौं, बीस टा घर उजाड़लौं आ लगभग एक सयकेँ लप्पर-थप्पर मारलौं ।बस एतबे ।
- ठीक छै ।तोहर भेलौ . . .गुणे बीस . . . बराबर . . .पैंतीस सय टाका ।एतबे ने ।
- मालीक ।हमर एकटा घरबैयाक कपाड़ सेहो फूटि गेल ।
- अच्छे ठीक छौ ।टोटल चारि हजार ।
-एकटा बात बताउ मालीक ।अहाँ दंगा किए करबैत छी ।
- एहि लेल जे एखुनका सरकार अगिला चुनावमे हारि जाइ आ हमर जीत जाइ ।
-मुदा एतेक पाइ किए खर्च करै छी ।एते जान मलकेँ क्षति होइ छै ।
- जखन कुर्सी भेटतै तँ सब खर्च सूइद सहित आपस भेट जेतै ।लोक मरै छै तँ मरऽ दहीं ।तोहर जेबी गर्म होइ छौ ने, भऽ गेलै ।

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें