प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 12 मई 2015

चरिपतिया-70-78

♡♡♡70♡♡♡
किछुए मिनटक भोर-साँझ होइ
बाँकी केवल दुपहर
सुरूजक तापसँ पिघलय धरती
नित दिन आठो पहर

♡♡♡71♡♡♡
माए सदिखन माए रहै छथि
दिवसक अछि जरूरत कोन
हम चानी बनि जीबि रहल छी
माए तँ छथि सदिखन सोन

♡♡♡72♡♡♡
माएक नेह गहिंरगर पोखरि
साँझ-भोर डुबै छी
कखनो नोर बहै जँ ओम्हर
चुरू लगा कऽ पीबै छी

♡♡♡73♡♡♡
करौट बदलैत समय संग
कहुना चलऽ पड़तै
खुश रहू वा दुखी रहू
जीबऽ पड़बे करतै

♡♡♡74♡♡♡
गामक बात लिखलौं जखन
शेष बचय नै पन्ना
गाछी-बिरछी मोन पड़ैए
मारा माछक सन्ना

♡♡♡75♡♡♡
सिनेहक बन्हन मजगूत जतऽ
ओतै बसैए गाम
बेन-तिहार आ बाजब-भूकब
चलैए एहने ठाम

♡♡♡76♡♡♡
गामे टामे, माएक छातीसँ
निकलय दूधक धार
सौंदर्यहननक डरसँ, शहरमे
डिब्बा बंद आहार

♡♡♡77♡♡♡
पोखरि-झाँखरि, बाध-बोन सब
भेटत मिसरी बोल कतऽ
बिषहारा, सलहेसक गहबर
बसैए अपन गाम जतऽ

♡♡♡78♡♡♡
जकर मनमे नेह भरल छै
तकरे मन अनुराग
तकरे आँगन मैना चहकय
बिहुँसय तकर भाग

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें