प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अक्तूबर 2015

कोना करी हे ममतामयी माँ आइ विदाइ हे

एलवम- मैया जागू ने

कोना करी हे ममतामयी माँ आइ अहाँक विदाई हे
कोना धरी हम धीर हे मैया फाटय चाति आई हे

नौ दिन पूजा पाठ माँ कलौं, जुड़ि गेल स्नेहक डोरी हे
सब सँ पैघ जगतमे होइ छै, मए बेटा के जोड़ी हे
एकरा तोड़ि अहाँ जँ जेबै, मरबै कानी कानी हे
कोना करी हे,,,,,,,,,,,,,,,,,

जग के पालक अहाँ छी मैया, कोना मुर्ती भसेबै हे
कोना अहाँके विसर्जन करब, कोना कलशा उठेबै हे
एना निष्ठुर किए बनै छी, जैन्ती देलौं सुखाई हे
कोना करी,,,,   ,,,,,,,,,,

जे एलै से जेबे करतै, सत्य थिकै एहि जगती के
एतबे सोचि सबुर माँ होइये, एबै अगिला दशमीमे
अमित रीतेशके आशिष दऽ कऽ, तारि दिअ माँ आई हे

Self music

1 टिप्पणी:

  1. माँ की महिमा का सुन्दर प्रस्तुतीकरण। . माँ आशीर्वाद देने ही आती है हम सबको.. .
    आपको सपरिवार नवरात्रि‍ की हार्दिक मंगलकामनाएं!

    जवाब देंहटाएं