प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 20 अक्तूबर 2017

मैथिली गजल- जिनगी हमर धोखा दैते ने रहलै

जिनगी हमर धोखा दैते ने रहलै
सब दिन जहर ओ परसैते ने रहलै

कोना हम रहै छी पुछलक ने कहियो
सदिखन नोरमे डुबबैते ने रहलै

लेलौं मानि हम हारल छी तैयो ओ
बनि ओ काल बस पटकैते ने रहलै

जे किछ माँगलौं से देलक ने कहियौ
जे छल हमर से लुटबैते ने रहलै

अंतिम ई निहोरा दिअ एक्के माँफी
बाँकी दिन मनसँ कनबैते ने रहलै

2221-2222-222

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें